“राब्ता मैथिली गोष्ठी” नई दिल्ली : शिवम झा ‘कबीर’ के नेतृत्व में भव्य आयोजन
Political Trust Magazine -New Delhi
मिथिलासँ दूर मिथिला-मैथिली प्रेमी हेतु 13 सितंबर, 2025 केँ राब्ता फ़ाउंडेशन द्वारा एकटा झमटगर मैथिली काव्य संगोष्ठीक आयोजन कएल जा रहल अछि। कोनहु भाषाकेँ जीवित रखबामे ओकर साहित्यक प्रवाह ओकर प्राणतत्व अर्थात् साँस केर काज करैछ। जखन बात मातृभाषा’क हो तऽ दायित्व आओर बढ़ि जाइत छै। ई बात राब्ता फ़ाउंडेशन केर संस्थापक शिवम झा “कबीर” खूब नीक जकाँ बूझैत आ’ मानैत छथि। इएह कारण थिक जे ओ मैथिली भाषा’क ऑनलाइन एवं ऑफलाइन कार्यक्रम केर सफलतापूर्वक आयोजन समय-समय पर करैत रहैत छथि।
दिल्ली’क द्वारका स्थित ‘Creative Unlockk’ (पालम “मैजेंटा लाइन” या द्वारका सेक्टर 10 “ब्ल्यू लाइन” मेट्रोक लगीच} होवय वला एहि आयोजन मे 40 सँ अधिक मैथिली-साहित्यक रचनाकार अपन उपस्थितिक स्वीकृति देलनि अछि। एकर अलावे, एहि आयोजनमे उपस्थिति हेतु किछु गोटेक नाम आओर आयल अछि, जनिका अगिला गोष्ठी मे आमंत्रित कएल जाएत, कारण, अपेक्षित समय केर अभाव हुनका लोकनिकेँ एहिमे सम्मिलित करबामे बाधक बनल अछि।
राब्ता संपूर्ण भारतमे नियमित रूपसँ अपन कार्यक्रमकेँ संचालित करैत रहैत अछि। एहि संस्थाक अन्य कार्यक्रमहि जकाँ इहो कार्यक्रम, जतय मैथिली’क नवांकुर रचनाकारकेँ मंच प्रदान करत, ओतहि आमंत्रित वरिष्ठ साहित्यकार सभसँ उक्त मंचकेँ सुशोभित एवं गौरवान्वित सेहो करत। एहि मंचसँ अनुभवी रचनाकार अपन अनुभवसँ नवांकुरकेँ नव बाट सेहो देखओता से विश्वास अछि।
:: कार्यक्रमक रूपरेखा ::
★ दीप प्रज्वलन: भिनसर 11 बजे, काव्य पाठ: 11:30 बजे सऽ दुपहरिया 02:30 बजे धरि, चाय नाश्ता’क समय: दिन 12 बजे, सम्मान समारोह: दुपहरिया 02:30 बजे और अन्त मे अल्पाहार दुपहरिया 03 बजे।
अपने सभ मैथिली-प्रेमी लोकनिसँ आग्रह करैत छी जे राब्ता’क एहि विशद आयोजनक साक्षी बनि, स्वयं सहित अन्य उपस्थित जनकेँ अनुगृहित करी !
सादर स्नेहिल आमंत्रण,
टीम राब्ता رابطہ फ़ाउंडेशन
